हमरा बारे में

क्रिश्चियन पवित्र ग्रंथ हमरा सबलके इतिहास आ भविष्यवाणी दूनू के बारेमे बात करैत अछि। ई पहिने भेल आ जल्दियेआबैके, ओकर बारेमे कहैत अछि। एकटा चौंकाने वाला भविष्यवाणी में, हम दुनिया क' विनाश सँ पहिने अंतिम चेतावनी संदेश पढ़ि सकैत छी।

प्रकाश १४ मे तीन स्वर्गदूत द्वारा स्पष्ट कएल गेल ई चेतावनी तीन भाग में अबैत अछि। ई सभ चेतावनी महत्वपूर्ण अछि जे संपूर्ण दुनिया क सुन' लेल आवश्यक अछि।

  • पहिल स्वर्गदूत हमरा सृष्टिकर्ता परमेश्वरक उपासना करबाक लेल कहैत अछि, जे स्वर्ग, पृथ्वी आ समुद्र बनौलक। हमरा सृष्टिकर्ता क' उपासना करबाक चाही किएक त ओकर न्यायक समय आबि गेल अछि। पहिल स्वर्गदूत हमरा ई बतबैत अछि जे हम परमेश्वर क' केना जानि सकैत छी आ न्यायसँ सामना के ल तयारी केना हो सकैत छी।

  • दोसर स्वर्गदूत हमरा अंत समय में धार्मिक विश्वासघातक बारे में चेतावनी दैत अछि। हमरा कहल गेल अछि जे ओहि धार्मिक प्रणाली सँ 'बाहर निकलू' जे सृष्टिकर्ता परमेश्वर आ ओकरा प्रकटित वचनक सम्मान नहि करैत अछि।

  • तेसर स्वर्गदूत हमरा चेतावनी दैत अछि जे दुष्ट व्यक्ति धर्मभ्रष्ट धार्मिक प्रणालीक माध्यम सँ सृष्टिकर्ता परमेश्वर आ ओकर लोकक खिलाफ अंतिम हमला करबाक प्रयास करत। ओहि लोक सभ पर एकटा "चिह्न" लगाओल जायत जे दुष्ट व्यक्ति क' अनुसरण करत, आ जे लोक परमेश्वरक प्रति सच्चा रहत ओ सताव झेलत। मुदा परमेश्वर अपन न्याय ओहि लोक पर ढारत जिनका पर ई भयानक चिह्न होयत। विश्वास आ आज्ञाकारिता भेल परमेश्वरक लोक क मरैत ग्रहक बर्बादी सँ बचाउल जायत। ओ सभ परमेश्वरक संग स्वर्ग जायत आ देखत जे ओ संसारक' ओकर मूल स्वरूप में पुनःसृजन करैत अछि।

हमर न्यूजलेटर के लेल साइन अप करू

नव प्रकाशन उपलब्ध होयत पहिल जानकारी पाबू!

newsletter-cover