
परम मुक्ति
सारांश
ई लगैत अछि जे पीड़ा सदिखन चलैत रहत, मुदा प्रभु ईसा मसीह कहने छथि जे ई कखनो खतम होएत। ओ अपन लोक सभकेँ "स्वर्ग राज्य" नामक ठाम पर ल' जायके लेल ई पृथ्वी पर लौटि के वादा केनेछथ। ई अद्भुत स्थान में, कोनो दुःख, मृत्यु आ पुनर्जन्मक चक्र नै अछि। हम सभ सृष्टिकर्ता परमेश्वर संगे सदिखन जीब'। ई पर्चा हमरा सभकेँ बतबैत अछि जे हम अपन अंतिम मुक्ति लेल कोना तैयार भ' सकैत छी।
प्रकार
Tract
प्रकाशक
Sharing Hope Publications
उपलब्ध अछि
20 भाषा
पृष्ठ
6
गंगा तट पर अन्त्येष्टि संस्कार के दौरान, एक पुरोहित मृत आत्मा के एक शरीर स दोसर शरीर के यात्रा जेकर अंतिम भाग्य मोक्ष अछि के बरेम बता रहल छैथ। भीड़ मे एकटा छोट बौआ कौतुहल सँ सुनैत अछि। बगलक एक दिस घुमि क’ ओ अचानक पुछैत छथि, “ई कहिया समाप्त होइत अछि?”
ओ एकटा एहन प्रश्न पूछैत छथि जे बहुत लोक आश्चर्यचकित करैत छै। कष्टदायक चक्र स बचबा स पहिने कतेक जन्म आ पुनर्जन्म आवश्यक अछि? इतिहास भरि मे ईअनगिनत बेर पूछल गेल अछि, आ तइयो एकर कोनो सटीक जवाब नहि देल जा सकैत अछि।
जन्म, मृत्यु, आ दुखक चक्र एतय एहि धरती पर सामान्य अछि। मुदा एहि संसार सँ परे, जाहि स्थान पर परमेश्वर छथि, ओतय कोनो कष्टदायक चक्र नहि होइत छैक—मात्र शाश्वत, अनन्त सुख। सौभाग्यवश, जे पीड़ा आ कष्ट सँ मुक्ति प्राप्त करबाक लेल लाखों मृत्यु आ पुनर्जन्म सँ गुजरब आवश्यक नहि अछि। एकटा बहुत रोमांचक बात के बारे में बताबी।
सदा के लेल दुख स बचू!
बहुत दिन पहिने प्रभु यीशु मनुक्खक रूप मे एहि संसार मे आयल छलाह। ओ बीमार लोक सभ केँ ठीक करैत छलाह आ आओर बहुत रास अद्भुत काज केलनि। ओ “स्वर्गक राज्य” नामक एकटा विशेष स्थानक विषय मे सेहो सिखबैत छलाह। ओ कहलनि जे स्वर्ग एहन स्थान अछि जतय कोनो बीमारी नहि अछि, कोनो दुख नहि अछि, आ ने पुनर्जन्मक आवश्यकता अछि। ओहि सुन्दर स्थान मे सब कियो सदाक लेल जीबैत अछि।
प्रभु यीशु एहि अद्भुत राज्यक बारे मे सिखबैत छलाह, आ तखन ओ अपन जीवन केँ बलिदानक रूप मे देलनि जाहि सँ हम सभ हमरा सभ केँ अपन खराब काजक परिणाम सँ मुक्त करथि जाहि सँ हम सभ चाहब त’ ओतय जा सकब।
अपन बलिदान मृत्यु के तीन दिन बाद ओ कब्र स जी उठलाह आ स्वर्ग राज्य मे आरोहण केलनि। ओ अपन अनुयायी सभ सँ वादा केलनि जे ओ युगक अंत मे वापस आबि जेताह आ हुनका सभ केँ स्वर्ग मे ल’ जेताह।
की ई कोनो अद्भुत भविष्य नहि बुझाइत अछि? यीशु चाहैत छथि जे हमरा सभ मे सँ प्रत्येक केँ मुक्ति भेटि जाय—सदाक लेल कष्ट सँ बचबाक लेल। मुदा जेना छोटका लड़का पूछलक “ई कहिया समाप्त होइत अछि” हम सब सेहो सोचैत छी जे हमरा सब के मुक्ति होबय में कतेक समय लागत।
प्रभु यीशु मसीह के वापसी
मजेदार बात ई छै कि प्रभु यीशु के शिष्य सिनी भी यही सवाल पूछलकै—ई कहिया खतम होय जैतै? प्रभु यीशु कहलन्है कि एह युग के आखिरी दिनमे भूकम्प, लड़ाई-झगड़ा, खाने के कमी, आ बेमारी (ब्याधि) बहुत बढ़ि जाइत। लोकक दिल डर स’ फेल भ’ जेतैन्ह किएक त’ ओसब परेशानी तेजी स’ बढ़ैत देखत। ई सभ प्रभु यीशुक आगमनक संकेत होयत। आब हम सब देख सकैत छी जे हम सब युग के अंत में जी रहल छी कियाक त ई सब संकेत भ रहल अछि।
जल्दिये, प्रभु यीशु प्रतिज्ञा के अनुसार वापस आबि जेताह। मृतक सभ केँ पृथ्वी सँ जीबि उठाओल जायत आ सिद्ध नव शरीर देल जायत, जेना बाइबिल कहैत अछि, “प्रभु स्वयं स्वर्ग सँ एकटा चिल्लाहट, महादूतक आवाज सँ, आ परमेश्वरक तुरही सँ उतरताह। मसीह मे मृतक सभ पहिने जीबि उठताह” (बाइबिल, 1 थिस्सलुनीकियों ४:१६)।
ओहि समय दुनियाँ जेना हम सभ जनैत छी से नष्ट भ’ जायत, आ दुष्टता समाप्त भ’ जायत। हम सब एक हजार वर्ष सुखक लेल स्वर्ग जायब। तखन, प्रभु यीशु संसार केँ सौन्दर्य आ पूर्णता मे पुनः सृष्टि करताह—मृत्यु, पीड़ा, बीमारी, अवसाद आ एकाकीपन सँ मुक्त। आ ओ वचन देलनि जे हुनकर मार्ग पर चलय बला सभ व्यक्ति ओतय रहबाक निश्चित अछि। ई यीशुक मार्ग अछि।
परम मुक्ति
यीशु अपन वापसी के सही दिन या घड़ी के खुलासा नै केलनि, मुदा ओ अपन अनुयायी सभ केँ बहुत रास विशिष्ट संकेत देलनि, जे एहि तरहेँ हम सभ जनैत छी जे हुनकर आगमन बहुत नजदीक अछि—शायद अहाँक आ हमर जीवनक भीतर। केहन अद्भुत समाचार अछि! प्रभु यीशु के आगमन पर, हम सब अपन खराब काज के परिणाम स मुक्त भ जायब!
यदि आहाँ स्वर्ग के राज्य में प्रवेश करै वाला में शामिल होना चाहै छियै, त यीशुक मार्ग के पालन करै लेली तीन सरल कदम छै:
प्रभु यीशु पर विश्वास करू। जखन यीशु अपन जीवन बलिदानक रूप मे देलनि, तखन ओ सभक कुकर्मक परिणाम केँ धारण कयलनि। ओ स्वेच्छा सँ ई काज केलनि जाहि सँ ओ हमरा सभ केँ हुनका सभ सँ मुक्ति द सकथि। अहाँ एहि वरदान केँ पूरा हृदय, आत्मा आ मन सँ एहि पर विश्वास क' क' स्वीकार क' सकैत छी।
व्यक्तिगत संबंध विकसित करू। प्रभु यीशु नहि चाहैत छथि जे हम सभ मात्र धार्मिक कर्तव्यक एकटा चेकलिस्टक पालन करी; ओ चाहैत छथि जे हम सभ हुनका व्यक्तिगत रूप सँ चिन्हब। हम सभ हुनका सँ ओहिना प्रार्थना क’ सकैत छी जेना कोनो करीबी मित्र सँ गप्प करैत छी, अपन हृदय खोलैत छी आ अपन सभ रहस्य साझा करैत छी। प्रभु यीशु अपन आत्मा के द्वारा हर दिन हमरा सभक संग रहताह, जाहि सँ हम सभ हुनका सँ कोनो समय गप्प क’ सकब।
प्रभु यीशुक शिक्षाक पालन करू। यीशु कहलनि जे हमरा सभ केँ हुनकर आगमनक लेल चौकस आ तैयार रहबाक चाही। प्रभु यीशु के प्रति भक्ति के जीवन जीबै के मतलब छै कि हम हुनक आज्ञा के पालन करबै, हुनका स॑ अपन पूरा दिल स॑ प्रेम करबै, आरू हुनक बादल म॑ प्रकट होय लेली हमेशा तैयार रहबै। बाइबिल में, प्रभु यीशु के अनुयायी बनय लेल हमरा सब के सब किछु भेटत जे हमरा सब के जानय के जरूरत अछि।
यदि आहाँ यीशु के वापसी के तैयारी में यीशुक मार्ग के पालन करय के तरीका के बारे में बेसी जानय चाहैत छी, त कृपया एहि पन्ना के पाछु देल गेल जानकारी पर हमरा सभ सं संपर्क करू।
Copyright © 2023 by Sharing Hope Publications. बिना अनुमति कें गैर-व्यावसायिक उद्देश्यक कें लेल काज कें छपाई आ साझा कैल जा सकय छै।ई पवित्र शास्त्र न्यू किंग जेम्स वर्जन®️ के अंग्रेजी प्रति सँ मैथिली मे अनूदित कयल गेल अछि। कॉपीराइट © 1982 थॉमस नेल्सन द्वारा। अनुमति सँ प्रयोग कयल गेल। सब अधिकार सुरक्षित।
हमर न्यूजलेटर के लेल साइन अप करू
नव प्रकाशन उपलब्ध होयत पहिल जानकारी पाबू!

अपना पाठक वर्ग के पहिचान करू
विशेष प्रकाशन
© 2024 Sharing Hope Publications