
चमत्कार के एक दिन
सारांश
विमलक पत्नी संग तनावपूर्ण संबंध बदतर भ' रहल छल। मुदा एक दिन, ओ सृष्टिकर्ता परमेश्वरक सम्मान में एक विशेष पवित्र दिन, सब्बाथ, के बारे में जानलक। ओ प्रभु ईसाक किताब पढ़' लागल आ प्रत्येक सप्ताह सब्बाथ दिन मनाब' लागल। धीरे-धीरे, विमलक क्रोध पिघल गेल, आ ओकर विवाह में किछु विशेष होय लागल।
प्रकार
Tract
प्रकाशक
Sharing Hope Publications
उपलब्ध अछि
20 भाषा
पृष्ठ
6
विमल अपन ऑटो-रिक्शा खींचि सड़कक कात मे आबि गेल। ओना दिन भरि मे हुनका बहुत रास ग्राहक आबि गेल छलन्हि मुदा हुनका खुशी नहि भेलन्हि। ओ अपन विवाह’क बारे मे सोचब नहि रोकि सकल। ई टुटि रहल छल!
ओ अपन पत्नी सीमा स’ प्रेम करैत छल—मुदा किछु दिन पर मारिपीट करबा स’ अपना केँ नहि रोकि सकैत। ओ विमल क बहुतेक तमसा देलनि। ओ कर’ नै चाहैत छल, मुदा बस भ’ जाइछल।
धार्मिक अनुष्ठानक समय, सीमा आत्माक आक्रांत भ’ जाइत छलीह आ बेतहाशा नाचैत छलीह, शरीर पर नियंत्रण हटि जाइत छल आ कपड़ा फाड़ि दैत छलीह। विमल केँ नीक नहि लागल जेना ओ अपना पर काबू नहि क’ लेतीह। ओ कहलख जे अनुष्ठान मे जेनाइ छोड़ि दियौक, मुदा ओ नहि सुनतीह। ओ फटल वस्त्र आ पशुबलि सँ मुँह पर खून लए घर पहुँचि जाइत छलीह, आ विमल तमसाक मारि दैत छल।
सीमा दू बेर गर्भवती भेलीह मुदा उन्मादी संस्कारक कारण गर्भपात भ गेल। ओ बेसीसँ बेसी जिद्दी बनि गेलीह, आ विमल क्रोधित, उदास, आ दोषी भ’ गेल।
एक निक तरीका
जेना विमल अपन ऑटो-रिक्शा मे बैसल, ओ एकटा नीक रस्ता क लेल बेताब कामना केलक। अचानक सड़क लग एकटा भवन भीतरसँ आवाज सुनबामे आयल। भीतर बच्चा आ पैघ लोक सभ छल, आ ओ सभ सुनैत छल जाबत कियो कोनो कथा कहैत छल।
कथाकार एकटा आदमीक विषयमे बजलाह जे अपन परेशानीसँ भागि रहल छल। ओ अपन जुड़वाँ भाइक संग धोखा क’ क’ एतेक चोट पहुँचा देने छल जे ओकरा अपन जानक डर लागैत छल। भागैत-भागैत ओ जंगल मे सुतय लेल रुकि गेल। तकियाक रूप मे पाथर छोड़ि ओकरा आरामदायक बनेबाक लेल किछु नहि छलैक। अपन परिवारकेँ तोड़बाक लेल जे काज केलक ताहि पर ओकरा एकाकीपन आ क्षमाभाव आबि गेलै।
विमल ध्यानसँ सुनलक। ओकरा बुझल छलैक जे एहि आदमी के केहन लागल हेतैक।
कथाकार आगू बढ़िलाह। जेना ओ आदमी सुतैत गेल, ओकरा एकटा सपना आयल। ओ देखलक जे एकटा सीढ़ी स्वर्ग धरि पहुँचैत छल। देवदूत सभ सीढ़ी पर ऊपर-नीचाँ होइत छल, जेना एहि दुखी, टूटल आदमी केँ आशीर्वाद नीचाँ अनैत हो। जखन ओ जागल तखन ओकरा खुशीक अनुभूति भेल। ओ जे पाथर तकियाक रूपमे प्रयोग कएने छल, ताहिसँ ओ अपन भगवानक लेल एकटा स्मारक बनौलक। सीढ़ी के दर्शन स॑ ओकरा एक बार फेरू भगवान स॑ जुड़लऽ महसूस होय गेलै, आरो ओकरा पता छेलै कि सब कुछ ठीक होय वाला छै।
एकटा नयाँ किताब
जखन लोक सभ चलि गेल तखन विमल लजाइत भवन मे प्रवेश केलक।
कथाकार हुनका अभिवादन केलनि, “विश्रामक दिनक शुभकामना।”
“विश्रामक दिन की होइत छैक?” विमल जिज्ञासासँ पुछलक।
कथाकार उत्तर देलनि, “हम सभ सृष्टिकर्ता भगवानक आराधना करैत छी। आ ओ हमरा सभ केँ सप्ताहक सातम दिन विश्राम-दिन केँ आराधना करबाक लेल कहैत छथि, कारण ओ छ दिन मे संसारक निर्माण कयलनि। ठीक ओहिना जेना आदमी’क सपना मे सीढ़ी स्वर्ग आ पृथ्वी केँ जोड़ैत छल, तहिना सब्तक दिन एकटा साप्ताहिक पवित्र दिन अछि जे हमरा सभ केँ परमेश्वर सँ जोड़ैत अछि। एहि दिन जखन हम सब पूजा करैत छी त’ हम सब सृष्टिकर्ता परमेश्वरक प्रति अपन समर्पण देखबैत छी आ हुनकर आशीर्वाद प्राप्त करैत छी।”
जुड़वाँ भाइक कथा विमलकेँ भाव छूबि गेल। “ओ कथा कतय भेटल?”
“ई बाइबिलसँ अछि, प्रभु यीशु मसीहक किताब” कथाकार ताकसँ पोथी लऽ कऽ विमलकेँ दऽ देलक। “एतहि कथा पढ़ि सकैत छी।”
विमल ओहि आदमीकेँ धन्यवाद दैत अपन नव पोथी लऽ कऽ घर चलि गेल। पढ़ैत-पढ़ैत हुनका शान्तताक अनुभव भेल, आ ओ अगिला शनि दिन घुरि गेल। जखन ओ चुपचाप बैसि पवित्र दिन सृष्टिकर्ता परमात्मा सँ प्रार्थना करैत छलाह तखन हुनकर हृदय मे किछु आश्चर्यजनक होबय लागल।
एकटा बदलल आदमी
एक दिन विमल अपन नव पोथी पढ़ैत काल हुनका एकटा श्लोक भेटल जाहि मे लिखल छल, “की अहाँ सभ केँ ई बुझल अछि जे अहाँ सभ परमेश्वरक मन्दिर छी आ अहाँ सभ मे परमेश्वरक आत्मा वास करैत अछि?” (बाइबल, १ कोरिन्थी ३ः१६)। हुनका मोन मे एकाएक इजोत भ’ गेलनि। चूँकि शरीर परमेश्वरक मन्दिर अछि तेँ ओ सोचलनि जे ओकरा हानि पहुँचेबाक अधिकार ककरो नहि छैक। आब हम अपन पत्नी केँ नहि मारब’।
ओ पहिने सेहो कतेको बेर रुकबाक प्रयास केने छल, मुदा एहि बेर सचमुच काज केलक। ओकरा पता छेलै कि बाइबिल पढ़ै आरू विश्राम-दिन के आराधना करै के कारण ओकरा सृष्टिकर्ता परमेश्वर सें जोड़ल गेलै, जे ओकरोॅ दिल बदलै में मदद करलकै। बुझायल जेना कोनो दिव्य हाथ हुनकर छाती सँ पाथर सन हृदय केँ निकालि ओकर स्थान पर दयालुताक हृदय द’ देने हो।
पुनर्मिलन!
कतेको वर्ष धरि विमल पवित्र विश्राम-दिन सृष्टिकर्ता परमेश्वरक पूजा करैत रहल। धीरे-धीरे सीमाकेँ अपन पतिमे परिवर्तन देखाइ पड़ल। आब ओ ओकरा नहि मारलकैक। बल्कि ओ सौम्य आ दयालु भ’ गेल छल।
एखन धरि सीमा बड्ड थाकल आ उदास भऽ गेल छली। ओ देखलक जे विमल सदिखन प्रभु यीशु मसीहक पोथी पढ़ि आ शनि दिन अपन पूजासँ घर घुरलाक बाद एतेक शान्त बुझाइत छल। अंत मे जखन विमल अपना संग जेबाक इच्छा क लेल पुछलक तऽ ओ मानि गेली।
“विश्राम-दिन हमर परिवार के लेल एकटा विशेष पवित्र दिन अछि,” विमल कहलक। “ई एकटा एहन दिन अछि जखन भगवान हमरा सभ केँ हुनका सँ जुड़बाक लेल आमंत्रित करैत छथि। जखन हम सभ हुनकासँ एहि तरहेँ जुड़ैत छी तँ ओ चमत्कार करैत छथि। हम जनैत छी जे हमर पत्नी आ हमर विवाह आइ सुखद अछि, कारण हम सभ दिन, आ खास क’ विश्राम-दिन, सृष्टिकर्ता परमेश्वरक आराधना करब सीखलहुँ। विश्राम-दिनक आशीर्वाद हमरा सभ केँ परमेश्वरक आ एक-दोसरक नजदीक आनि दैत अछि।”
आइ, विमल आ सीमाक दूटा बेटाक संग सुखी दाम्पत्य अछि। ओ सभ अपन सभ पड़ोसी सभ केँ विश्राम-दिनक आशीर्वादक विषय मे कहैत छथि।
यदि आहाँ विश्राम-दिन के बारे में अधिक जानना चाहै छियै या बाइबिल प्राप्त कर चाहै छियै, त कृपया ई पन्नाके पिछला भाग में देलऽ गेलऽ जानकारी पर हमरा स॑ संपर्क करी सकै छियै।
Copyright © 2023 by Sharing Hope Publications. बिना अनुमति कें गैर-व्यावसायिक उद्देश्यक कें लेल काज कें छपाई आ साझा कैल जा सकय छै।ई पवित्र शास्त्र न्यू किंग जेम्स वर्जन®️ के अंग्रेजी प्रति सँ मैथिली मे अनूदित कयल गेल अछि। कॉपीराइट © 1982 थॉमस नेल्सन द्वारा। अनुमति सँ प्रयोग कयल गेल। सब अधिकार सुरक्षित।
हमर न्यूजलेटर के लेल साइन अप करू
नव प्रकाशन उपलब्ध होयत पहिल जानकारी पाबू!

अपना पाठक वर्ग के पहिचान करू
विशेष प्रकाशन
© 2024 Sharing Hope Publications